संविधान / कार्य पद्धति
********
१) जन जागृति मंच एक मनोनीत कार्यकारिणी सँ निर्देशित होयत जकर कार्यकाल सामान्यतया एक वित्तीय वर्ष (01 अप्रैल सँ अगिला 31 मार्च तक ) होयत जाकर आपात् स्थिति मे तीन - तीन मासक तदर्थ विस्तार देल जा सकैत अहि.
२) कार्यकारिणी मे अध्यक्ष समेत 18 सदस्य मनोनीत होयताह . मनोनयन साधारण सदस्य लोकनि ध्वनि मत / प्रस्तावना / अनुमोदन के आधार पर करताह . आवश्यकता परला पर अप्रत्यक्ष निर्वाचन द्वारा सेहो मनोनयन भs सकैत अहि .
३) मंचक सदस्यता शुल्क एकाधिक प्रकार के होयत जकर विवरण पंजीकरण पृष्ठ पर देल अहि . एकर
अतिरिक्त , स्वैछिक दान कें मंचक अभीष्ट प्राप्ति हेतु सहर्ष स्वीकार कएल जायत .
४) मंचक कोष पारदर्शी ढंग सं नियंत्रित कएल जायत. अहि निमित्त एक राष्ट्रीयकृत बैंक में बचत खाता खोलल जायत जकर संचालन अध्यक्ष , सचिव ओ कोषाध्यक्ष मे कम सँ कम दू पदाधिकारी के संयुक्त हस्ताक्षर सँ होयत . कोनो भी विवादक स्थिति मे कार्यकारिणी सदस्यक बहुमत सँ पारित निर्णय अंतिम ओ सर्वमान्य होयत.
५) पाँच हजार ताका सँ उपरक खर्च लेल कार्यकारिणीक अग्रिम संस्तुति आवश्यक होयत .
६) समस्त वित्तीय लेन-देन के सम्पूर्ण लेखा - जोखा केsर अंकेक्षण नव कार्यकारिणी के कार्य भार ग्रहण सँ पूर्व करा लेल जायत . अंकेक्षक जन जागृति मंच के सदस्य सेहो भs सकैत छति जिनक मनोनयन कार्यकारिणीक सहमति सँ होयत .
७) सदस्यता शुल्क सँ प्राप्त राशिः संगठनात्मक कार्य मात्र (यथा कार्यालय व्यय , बैठक व्यय ) आदि पर खर्च कएल जायत . कोनो कार्यक्रम विशेष हेतु समाज सँ राशिः संग्रह कएल जायत आ ओही सीमाक अनुरूप कार्यक्रम होयत . कार्यक्रम के उपरान्त अतिरिक्त / अप्रयुक्त राशिः मंचक कोष मे जमा भs जायत . विशेष परिस्तिथि मे कार्यकारिणीक निर्णयानुसार सदस्यता शुल्क राशिः सँ सेहो कार्यक्रम सम्पादित भs सकैत अहि .